अहाँक मूँह, चुनावी मैथिली कविता - Prem Videh Lalan

 अहाँक मूँह

खलनायकक मुठानसन

अहाँक मुसकान
शिकारीक बानसन
अहाँक स्वभाव
धोखेबाज प्रेमीसन
अहाँक चलनाइ
घोडाक चालिसन
अहाँक आश्वासन
चैतक हिलकोरीसन
अहाँक प्रतिबद्धता
फेसबूक - स्टोरीसन
अहाँक नारा
पानिक बुलबुल्लासन
अहाँक जुलूस
भेँडाक हेँडसन
अहाँक घोषणापत्र
झुठ्ठा पोथाङ्गसन
अहाँक लक्ष्य
बनिञाक घेँटकट्टीसन
अहाँक इतिहास
घोटालाक आख्यानसन
अहाँक वर्तमान
मुखौटाबला पहिचानसन
तएँ
घूरि जाउ महोदय
हमर दरबज्जापरसँ
नहि त
पोलक पुलिन्दासभ
खोलिक'
छिडिया देब भरि गाम
डूबि जाएत अहाँक प्रचलित नाम !





Post a Comment

0 Comments