माय मिथिला जगाबथि भरल नोर में । Binit Thakur

Binit Thakur

केहन सपना हम मीता देखलौँ भोर में ।

माय मिथिला जगाबथि भरल नोर में ।।

कहथि रने वने घुमी अपन अधिकार लेल ।
छैं तूँ सुतल छुब्ध छी तोहर बिचार लेल ।।
कनिको बातपर हमरा तूं करै विचार ।
की सुतलासँ ककरो भेटलै अछि अधिकार ।।

जोरि एक एक हाथ बनवै जो लाखों हाथ ।
कर हिम्मत तूं पुत्र छियौ हम तोहर साथ ।।
अछि तोरापर बाँकी हमर दूधक कर्ज ।
करै एहिबेर तूं पुरा सबटा अपन फर्ज ।।

लौटादे हमर आब अपन स्वाभिमान ।
पुत्र कहेबे तूं महान हेतौ कर्म महान ।।

विनित ठाकुर, मैथिली कविता

Post a Comment

0 Comments