प्रतिकूल मौसम बादो लहानमे ‘साहित्यिक विमर्श एवम् कवि गोष्ठी’ भव्यतापूर्वक सम्पन्न


मैथिली भाषा, साहित्य आ संस्कृतिक उत्थानमे समर्पित संस्था सङोर मिथिला नेपाल, लहान-७, सिरहाद्वारा इएह शनिदिन अर्थात् मिति-२०८२ पुष १९ गते लहानक ऐतिहासिक गोपाल सेवा सदनमे ‘साहित्यिक विमर्श एवम् कवि गोष्ठी’ क भव्य आयोजन कएल गेल अछि।

प्रतिकूल मौसमक कारणे उपस्थितिमे किछु कमी भेलाक बादाे, मैथिली साहित्यक प्रति अनुरागीसभ उत्साह चरमपर छल। करिब ५ वर्षक लम्बा अन्तरालक बाद संस्थाद्वारा आयोजित इ पहिल औपचारिक कार्यक्रममे मैथिली भाषा-साहित्यक क्षेत्रमे एकटा नव ऊर्जाक संचार कएलक अछि।

कार्यक्रमक अध्यक्षता संस्थाक निवर्तमान अध्यक्ष तथा प्रतिष्ठित कवि हृदय नारायण यादवद्वारा कएल गेल छल। कार्यक्रमक सञ्चालन संस्थापक अध्यक्ष एवम् कार्यक्रम सञ्चालक दिनेश रसियाद्वारा अत्यन्त कुशलतापूर्वक कएल गेल अछि।

कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि, प्राध्यापक हिरालाल कर्ण अपन कहलनि, "मैथिली साहित्यक संरक्षण आ संवर्द्धनमे सङोर मिथिला नेपालक ई डेग अत्यन्त प्रशंसनीय अछि। भाषाक जीवन्तताक लेल एहन साहित्यिक विमर्शक निरन्तरता अपरिहार्य अछि। नव आ पुरान पीढ़ीक साहित्यकार लोकनिक संगम ई गोष्ठी मैथिलीक भविष्यक लेल शुभ संकेत छी।"

विशिष्ट अतिथि समाजसेवी राकेश झा मैथिली भाषाक सामाजिक महत्वपर कहलथि, "साहित्य समाजक दर्पण होइत अछि। हमसभ मैथिलीक उत्थानक लेल एकजुट भऽ काज करबाक आवश्यकता अछि।"

कार्यक्रमक अध्यक्ष तथा कवि हृदय नारायण यादव अपन अध्यक्षीय वक्तव्यमे संस्थाक पुनर्जागरणक संकल्प व्यक्त करैत कहलथि, "करिब ५ वर्षक अन्तराल भेलाक कारणे किछु विलम्बसँ कार्यक्रम भेल, मुदा ई कार्यक्रम संस्थाक लेल एकटा नव अध्याय छियै। हमसभ आगामी चरणमे बहुतरास साहित्यिक आ सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन करब। मैथिलीक सेवामे सङोर मिथिला नेपाल अखन पुनः सक्रिय भेल अछि।"

शेख मिडिया हाउस तथा सरगम एफएमके सञ्चालक फिरोज शेख कहलनि "प्रतिकूल मौसमक बावजूद एतेक संख्यामे साहित्य अनुरागी लोकनिक उपस्थिति ई बातक प्रमाण छियै जे मैथिलीक प्रति सबकेँ अनुराग अखनो बहुतेक अछि।"

विमर्शके बाद आयोजित कवि गोष्ठीमे उपस्थित कविसभ अपन उत्कृष्ट रचनासभ प्रस्तुत कएलनि। श्रीराम मण्डल ‘भरोसी’, सुरेश प्रसाद सिंह, विरेन्द्र कुमार सिंह, आ कार्यक्रममे रामधिन राम अधिन सम्भव सहित अन्य कवि लोकनि अपन कवितासँ श्रोतागणकेँ मंत्रमुग्ध कएलाह। शास्त्रीय संगीत प्रशिक्षक राजकुमार यादव आ संस्थापक सदस्य जावेद अली द्वारा मधुर गीतक प्रस्तुति सेहो कएल गेल।

तहिना कार्यक्रममे पत्रकार लाल बिहारी यादव, जनता टुडेक पत्रकार रोयण्टर मण्डल, संस्थाक संस्थापक सदस्य महेश सिंह, अमरेश कुमार महतो, जावेद अली, सह-सचिव रितेश मैथिल आ गोपाल सेवा सदनक प्रतिनिधि महाराजी रामविलास यादव सहित अन्य सदस्यसभक सक्रिय सहभागिता कार्यक्रमकेँ सफल बनेबामे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह कएलक।

कार्यक्रमक अन्तमे, अध्यक्षता क रहल हृदय नारायण यादवद्वारा कार्यक्रमक समापनक घोषणा करैत उपस्थित समस्त अतिथिगण तथा श्रोतागणकेँ धन्यवाद ज्ञापन कएलनि।

विशिष्ट अतिथिगणक उपस्थिति: कार्यक्रममे निम्न लिखित विद्वान, साहित्यकार आ समाजसेवी लोकनिक गरिमामय उपस्थिति रहल:
क्रम संख्यानामपरिचय
प्राध्यापक हिरालाल कर्णप्रमुख अतिथि
समाजसेवी राकेश झाविशिष्ट अतिथि
अर्जुन प्रसाद गुप्ता ‘दर्दिला’वरिष्ठ साहित्यकार/अतिथि
फिरोज शेखशेख मिडिया हाउसक सञ्चालक/अतिथि
लाल बिहारी यादवसञ्चारकर्मी/कवि/अतिथि
रोयण्टर मण्डलपत्रकार/कवि/अतिथि
श्रीराम मण्डल ‘भरोसी’मिलाफ नेपालक पूर्व अध्यक्ष/कवि/अतिथि
राजकुमार यादवशास्त्रीय संगीत प्रशिक्षक/गायक/अतिथि
शिवशंकर गुप्तासंस्थाक अध्यक्ष

Post a Comment

1 Comments

Anonymous said…
बहुत निक