सङ्गाेर मिथिलाक अपन प्रस्तुती श्रंखला ५ आइ सफल ...

आई लहानक पशुपति आर्दश मा.विके भवनमे सङ्गोर मिथिला नेपालक मासिक आयोजन ‘अपन प्रस्तुती श्रृंखला ५’ सम्पन्न भेल अछि । एहि संस्थाक सचिव गजेन्द्र गजुरक अध्यक्षता तथा रितेश मैथिलक संचालनमे रचनाकारसभक रचना कविता,गजल,गीत तथा आलेख सेहो बाचनhttps://www.ilovemithila.com कएल गेल अछि ।
बदलैत मौसम आ मिथिलाक बातावरण बर्णन करैत इन्दु कुमारी साह कविता सुनेलनि । मातृभाषा आ मानवतापर केन्द्रिति भ' रमण यादव धीरु , पूर्व अध्यक्ष हृदय नारायण यादव गजल तथा रेडियोकर्मी लालबिहारी यादव कबिता  प्रस्तुत कएलकनि । नारीक व्यथा,शक्ति आ परदेशक पीर अपन रचनामे लिखके मोनके गहिर कोनमे चेतनाके संचार करौलनि  साहित्यकार अजूर्ण प्रसाद गुप्ता ‘दर्दिला’ आ मिथिला साहित्य कला प्रतिष्ठान अध्यक्ष श्रीराम मण्डल भरोसी ।  परम्पारिक गीत  जगिता कुमारी सिहं आ आस्थासँ भरल रामनाथ मोचीके रचना सुनि सभके मोन गदगद भ' गेल । तहिना रितेश मैथिलके आह्वानसँ भरल रचना आ गजेन्द्र गजुरके कबिता तथा ‘इतिहासमे नाम वएह लिखाबैत छै ,जे इतिहासके बर्तमान बनाबैत छै’ शीर्षकके लेख सभके चिन्तनशील बनाए देलकनि ।

Post a Comment

0 Comments