साहित्यकार शेखर जीक श्रद्धाञ्जलीसभा सम्पन्न !

 सङ्गोर मिथिला नेपालद्वारा हिनका एक श्रद्धाञ्जली कार्यक्रम करि साहित्यिक श्रद्धाञ्जली अर्पण कएल गेल अछि । जाहिमे "मैथिलीयो मे कोनो रचना होइ छै,से हम हिनकेसँ बुझलहुँ" कहलनि लाल विहारी यादव जी। " हमर शब्द गुरु छलाह ओ, गुरुके अवसान माने हम  एना बुझैत छी जे हमर एकटा भागके अवसान भ' गेल" से  अर्जुण सर कहलनि। ए
हि तरहे कार्यक्रममे सङोरक सल्लाहकार राकेश झा,हिरा लाल कर्ण , पुर्व अध्यक्ष हृदय नारायण यादव,उपाध्यक्ष तेजु मैथिल,सचिव गजेन्द्र  गजुर ,सह-सचिव रितेश मैथिल, परदेशमे रहनिहार अशोक कुमार सहनी,नारायण मधुशाला,प्रदीप नारायण, हनुमाननगर सप्तरी एकाइक अध्यक्ष सत्य नारायण पंडित ,आरती यादव , लहानस जगिता सिहं लगायत दू दर्जनके सहभागीता छल। अध्यक्षता शिव शंकर प्रसाद गुप्ता जी  आ संचालन  संस्थापक अध्यक्ष दिनेश रसिया जी कएने छलाह ।