अन्तर्राष्ट्रय मातृभाषा दिवस

आइ अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवसके अवसरमे सङ्गोर मिथिला नेपालद्वारा दुइटा कार्यक्रम मातृभाषा प्रशिक्षण प्रतियोगिता आ वक्तृत्वकला प्रतियोगिता एकहि दिन संकल्प बाटिका लहानमे सम्पन्न भेल अछि ।

मैथिल समाज नेपाल बुटबलके अध्यक्ष  मुखिलाल चौधरीके प्रमुख आतिथ्य, नेपाल सङ्गीत तथा नाट्य प्रज्ञा प्रतिष्ठानक प्राज्ञ धीरेन्द्र प्रेमर्षि , रुपा झा , ६ नं वार्ड अध्यक्ष अरुण के.सीे, मिथिला टाइमस् सम्पादक रामरिझन यादव, मैथिली संरक्षण समितीके  डा. रामसेवक सिहं, डा. महेन्द्र नारायण चौधरीक विशिष्ट आतिथ्यमे कार्यक्रम भव्य होइत गेल । पहिल सत्रके अध्यक्षता तेजु मैथिल,मुख्य प्रशिक्षक गजेन्द्र गजुर , अतिथी प्रशिक्षक रामरिझन यादव , सहजकर्ता नारायण मधुशाला , हृदय नारायण यादव, सत्य नारायण पंडितद्वारा ३२ गोटा प्रशिक्षणार्थीके सहभागितामे सम्पन्न भेल ।
 तहिना दोसर सत्र शिवशंकर प्रसाद गुप्ताके अध्यक्षतामे वक्तृत्वकला प्रतियोगिता ९ गोटा प्रतियोगीसँ  सम्पन्न भेल । गीत आ नृत्य सेहो माहोलके मनोरञ्जन बनौने छल। जाहिमे पहिल सत्र प्रशिक्षणक बिजेता पहिल शिबम रेनबो स्कुलके लक्ष्मण साह दोसर प्रिन्सटन सिटी योगेश यादव तेसर श्री जनता डोमी चौधरीके रंजित साह भेल। वक्तृत्वकलामे पहिल संकल्प बाटिकाके रविन्द्र कामति,दोसर मदरल्यान्ड एजुकेशनलके प्रिया झा आ तेसर शिवम् रेनवो स्कुलके पुजा साह  भेल अछि। मातृभाषा ब्यापक प्रयोग आ शिक्षामे हाल लागु करबाक तर्क वक्तालोकनि निष्कर्ष निकालथि । विद्यार्थीसभ तर्क छलनि जे हमरासभ जे पहिचान अछि तकरा सबदिन जिबित राखबाक लेल अपन मातृभाषा जिबित राखय परत सएह जोड देलनि।उद्धाेषण  िदनेश रसिया आ गजेन्द्र गजुर कएने छलाह ।

                       (Maithili Songs and maithili Mp3 Download के लेल  Maithili.com.np)



तहिना निर्णाय प्रक्रिया  सल्लाहकार फिरोज शेख,साहित्यकार जिवछ उदासी,कोषाध्यक्ष गायत्री सिहं पुरा कएलनि।तहिना कार्यक्रम लाल
 विहारी यादव,रामसेवक सिहं अशोक कुमार सहनी कलगायत सङोरक सदस्य ,विभिन्न विद्यालयक प्रतिनिधि अतिथिसभक सभागीतामे कार्यक्रम सफल भेल।