आइ लहानमे सङ्गोरक अपन प्रस्तुती श्रृखंला -३ आ बैसार सम्पन्न भेल अछि। शिवशंकर प्रसाद गुप्ताक अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल बैसारमे विभिन्न बिषय पर विचार विमर्श कएल गेल।
अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली सम्मेलनमे सङ्गोरक सहभागिता पर समिक्षा भेल । जे आगाँ सार्वजनिक कएल जाएत ।
आइसँ सङ्गोरक आधिकारिक ब्लग सार्वजनिक कएल जाइत अछि।
SangorMithila.blogspot.com एकर एडमिनमे संस्थाक अध्यक्ष
शिवशंकर प्रसाद गुप्ता, सचिव
गजेन्द्र गजुर आ सम्पादकमे संस्थापक अध्यक्ष
दिनेस रसिया ,निवर्तमान अध्यक्ष
हृदय नारायण यादवकेँ राखल गेल अछि।
तहिना श्रृंखलामे अर्जुण प्रसाद गुप्ता "दर्दिला" , रमण यादव "धीरु" ,दिनेश रसिया,इन्दु कुमारी साह, रामनाथ मोची,हृदय नारायण यादव आ गजेन्द्र गजुर कविता बाचन कएलथि ।
जगिता सिहं परम्परागत गीत सुनेलथि । श्रंखलाक संचालन हृदय नारायण यादव कएने छलाह।
 |
नव श्रर्जक : इन्दु कुमारी साह |
 |
नव श्रृर्जक: रामनाथ राम मोची |
1 Comments
शुभकामना!