२०७६ कातिक १४ गते ।
हनुमाननगर कंकालिनि नगरपालिकामे "नगर स्तरीय वक्तृत्वकला प्रतियोगिता" सङ्गोर मिथिला नेपालक आयोजन आ हनुमाननगर कंकालिनी न.पा.के सहयोगमे कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि ।सत्यनारायण पंडितके अध्यक्षता आ नगर उप-प्रमुख सरिता देवी यादव(सिपलिया ) जीक विशिष्ट आतिथ्यमे आयोजित कार्यक्रममे हनुमानगरक महाबीर मा वि,एभरेष्ट
रेसिडेनसिल इ. बो. , शप्तकोशी इ. बो , भादहक विपि मा. वि पोर्ताहक कंकालिनी मा.वि.सँ दुइ दुइटा विद्यार्धी करि १० टा प्रतियोगी विद्यार्थी सहभागी भेल छल। जहिमे "मातृभाषा बिकासमे विद्यार्थीसभक भुमिका" बिषयमे बाजल छल ।

अतिथी,विद्यार्थी, करिब ३५० गोटा दर्शकके उपस्थितिक बीच भेल प्रतियोगितामे पहिल महाबीर मा.विके नेहा यादव , दोसर एभरेष्ट रेसिडेन्सियल इ. बो. स्कुलके श्रीति झा, तेसर कंकालिनी मा.वि पोर्ताहाके रामकृष्ण झा आ संतावना शप्तकोशी इ. बो . के रिया झा भेल से निर्णायक समिति साहित्यकार अर्जुण प्रसाद गुप्ता "दर्दिला", साहित्यकार देवेन्द्र मिश्र आ नगर-उप प्रमुख सरिता देवि यादव घोषणा कएलक ।
पहिलमे दुगो आ दोसरमे दुगो प्रतियोगिके एक समान अङ्गक अएलाक कारणे गोला प्रथासँ नतिजा निकाल्ल गेल। अपन मैथिली भाषामे एहन कार्यक्रम नगरमे पहिल बेर भेल आ युवासभहक ध्यान अपन भाषाके उजागर करबाक प्रयासमे सदित प्रोत्साहन देबाक बात नगर-उपप्रमुख सरिता देवि यादव कहलनि। मातृभाषा लोकके हृदयमे पहुचबाक सुलभ माध्यम अछि , पहिचान अछि एहि प्रति विद्यार्थीके बेसी सजग रहबाक बेगरता छै से कार्यक्रममे उपस्थित भेल सङ्गोर मिथिलाक सल्लाहकार हिरा लाल कर्ण,माधव कुमार,मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठानक अध्यक्ष श्रीराम मंडल , साहित्यकार एवं अभियानी देवेन्द्र मिश्र ,पार्थो सरकार ,देवेन्द्र झा , सङ्गोर मिथिलाक पुर्व अध्यक्ष हृदय नारायण यादव ,अमरेश कुमार महतो , कोषाध्यक्ष गायत्री सिहं , शिक्षक तेज नारायण यादव आदि वक्तव्यमे कहलनि ।

नगर स्तरिय वक्तृत्वकलासँ विद्यार्थीके ध्यान अपन असली पहिचान प्रति बोध हएत आ हनुमाननगर शाखाके एहन कार्यक्रम आयोजन लेल बहुत प्रशंसा सङ्गोर मिथिलाक उपाध्यक्ष तथा मिलाफ नेपालक कार्यसमितिक सदस्य गायक तेजु मैथिल कएलनि। तहिना कार्यक्रममे आनन्द इ. बोर्डिङ स्कुल हनुमाननगरक नन्हिएटाक बौवा बुच्चिसभ ३ टा मैथिली गीतपर नृत्य ,सरोज बिरपुरिया आ तेजू मैथिलक गीत कार्यक्रमके आर बेसी भव्य आ आकर्षक बनौलक।
कार्यक्रममे नगरपालिकासँ रामशंकर मंडल, सदस्यसभ मो. अमिन अलि , राजेश मंडल, जितेन्द्र मंडल , मुकेश कुमार चौधरी ,नेहा सोनी , सुरज पंडित, चन्दा साह,राधा कुमारी दास,जगिता सिहं, रिना यादव , रितेश मैथिल, नरेश चन्द्र बरबरिया , शिक्षकसभ जाबिर अलि , दिपेश खड्गा ,तेज नारायण यादव, कमल मेहता ,गणेशी यादव लगायत विद्यालय, नगरपालिका,मेयरक प्रतिनिधि,नगरबासी,पत्रकारक उपस्थितिमे सम्पन भेल।एहि कार्यक्रमके उद्घोषण सङ्गोर मिथिलाक सचिव गजेन्द्र गजुर आ मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठानक सचिव विद्यानन्द वेदर्दी कएने छल।

0 Comments