२०७६ साल कातिक १८ गते
सङ्गोर मिथिला नेपाल,लहानक आयोजनमे दशमी,दीयावती,छठि पर्वक शुभकामना विशेष कार्यक्रम एपेक्स एजुकेशनल एकेडेमी,लहानमे सम्पन्न भेल।जाहिमे संस्थाक अध्यक्ष शिवशंकर प्रसाद गुप्ता सभाध्यक्षके रूपमे एवम् प्रमूख अतिथिक रूपमे बरिष्ठ शास्त्रिय संगित साधक गुरुदेव कामत छलाह।
अतिथि सभमे संस्थाक सल्लाहकार क्रमश: हिरालाल कर्ण,अर्जुन प्रसाद गुप्ता'दर्दिला',सञ्चारकर्मी फिरोज शेख,युवा-पत्रकार महेश सिंह,एपेक्स एजुकेशनल एकेडेमीक संचालक भरत साह छलथि। संस्थाक सदस्य सभ आ अतिथि मिलाक जम्मा ३० गोटेक व्यक्तित्व समुपस्थितिमे कार्यक्रम सु-सम्पन्न भेल।
एहि कार्यक्रम सञ्चालन संस्थाक पूर्व अध्यक्ष हृदय नारायण यादव कयने छलथि। अतिथि'क आसन ग्रहण करउल गेलाक बाद कार्यक्रम सञ्चालनके जिम्मा संस्थाक संस्थापक अध्यक्ष दिनेश रसियाके देल गेल छल। मैथिली भाषा,साहित्य एवम् संस्कृति'क लेल जन चेतना स्तरपर काज करबला नवतुरीया सभक प्रतिबिम्ब सङ्गोर मिथिला नेपालद्वारा प्रमूख अतिथि सम्मान सेहो कएल गेल।
1 Comments