तेजु मैथिलद्वारा गोसाउनिक गीत गाओल गेल त स्वागत गीत संकल्प वाटिका बौवा बुच्चिसभद्वारा गाओल गेल । तेजू मैथिल आ दिनेश रसियाक स्वागत मंतव्य व्यक्त कएलक । शुभकामना मंतव्यमे हिरालाल कर्ण , अर्जुन प्रसाद गुप्ता "दर्दिला" , फिरोज शेख ,लहान न.पा. वाड न. ६ अध्यक्ष अरुण के.सी , अब्दुर रज्जाक राइन, कुन्दन कुमार कर्ण,माधव कुमार , महेस मेहता ,डा.महेन्द्र चौधरी राजविराजसँ आयल अन्तराष्ट्रिय मैथिली परिषदक अध्यक्ष करुणा झा,मैथिली साहित्य परिषद् पुर्व अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्रक मतंव्य एंव शुभाष बिरपुरियाक गीत गायन सम्पुर्ण माहौलके संगितमय बनौलक।
कार्यक्रमे सङ्गोर मिथिला नेपालक लहान तथा हनुमाननगर सप्तरीक समितिक सल्लाहकारसभकें सम्मान कएल गेल अछि जाहिमे अर्जुन प्रसाद गुप्ता "दर्दिला, अनुपम झा, माधब कुमार , राकेश झा , दिनेश्वर प्रसाद गुप्ता ,महेश मेहता ,राजेन्द्र मिश्र, फिरोज शेख ।
दोसर सत्रमे सचिव गजेन्द्र गजुरद्वारा कार्य प्रगती प्रतिवेदन तथा कोषाध्यक्ष गायत्री सिहंद्वारा आर्थिक प्रतिवेदन प्रस्तुत कएलक। फिरोज शेख , अर्जुण प्र गुप्ता , विके चौधरीक गठित निर्वाचन समितिद्वारा मनोनयन प्रक्रियासँ निरविरोध कार्यसमितिके चयन कएल गेल अछि।
१.अध्यक्ष - शिवशंकर प्रसाद गुप्ता
२.उपाध्यक्ष - तेजु मैथिल
३.सचिव - गजेन्द्र गजुर
४.सह सचिव - रितेश मैथिल
५.कोषाध्यक्ष - गायत्री सिहं
सदस्यमे
६.मो. आमिन अलि
७.जगिता सिहं
८.राजेश मंडल
९.राधा कुमारी दास
कार्यक्रममे सहभागी अन्य महत्वपुर्ण व्यक्तिसभ: रामसोगारथ यादव, मोहन कुमार महतो, बेचन महतो , नरेश बरबरिया,पत्रकार महेश सिहं , विनोद कुमार मेहता,सराेज सन्त सहित महोतरी,धनुषा,सिरहा,सप्तरी आ सुन्सरी जिलासँ मैथिली भाषा अनुरागी,साहित्यकार,सङ्गोरक सदस्यसभ ९० गोटाक सहभागिता रहल छल ।

0 Comments